मुख्य सामग्री पर जाउ
+९१ ७०११९ ५६२८६
Hello Mithila

चौठचन्द्र

सिंहः प्रसेनमवधीत् सिंहो जाम्बवता हतः ।
सुकुमारक मा रोदीः तव ह्येष स्यमन्तकः ॥

अर्थ

प्रसेनकेँ सिंह मारलक, आ ओहि सिंहकेँ जाम्बवान मारलनि। हे सुकुमार! अहाँ दुःखी भऽ कऽ नहि रोऊ; ई स्यमन्तक मणि अहाँक अछि।

कहिया पढ़ी

भादो शुक्ल चतुर्थी केँ चन्द्र दर्शनक समय।

विधि

शुद्ध आसन पर बैसि, पूर्व वा उत्तर दिशा दिस मुँह क' क' शान्त मन सँ पाठ करू। उच्चारण स्पष्ट राखू।