Hello Mithila मिथिला क्षेत्रक लोक हेतु बनल एक पंचांग आ धार्मिक सेवा मंच थिक। एतय अहाँ केँ दैनिक पंचांग, पर्व-व्रतक तिथि, शुभ मुहूर्त, मन्त्र आ पूजा विधि — सभ मैथिली में भेटत।
उद्देश्य
मिथिलाक पंचांग परम्परा पूर्णिमान्त गणना पर आधारित अछि आ किछु आन क्षेत्र सँ भिन्न अछि। एहि भिन्नताक कारणे मिथिलाक लोक केँ प्रायः सही तिथि लेल भ्रम होइत छनि। ई मंच ओहि अभाव केँ पूरा करबाक प्रयास थिक।
पंचांग सामग्री
पंचांगक सभ गणना ज्योतिषीय आधार पर होइत अछि आ पं. शंकर कुमार झा, पण्डौल द्वारा सत्यापित कयल जाइत अछि। जाबत सत्यापन नहि भ' जाइत, ताबत पन्ना पर स्पष्ट सूचना देखाओल जाइत अछि।